मिथिलाक श्रेष्ठता कें शिक्षा जगत मे यशस्वी प्रदान केनिहारक सूचि मे अनेकों मूर्धन्य सिरमौर मैथिलवृन्द, शिक्षा क्षेत्र मे समर्पित योगदान दैत मिथिलाक गौरवक यशवर्द्धन करैत आबि रहला अछि । हुनका लोकनिक प्रति श्रद्धा समर्पित करैत जाहि रत्न कें मैथिल समाज काल्हि यथा 19.06.2016 कें सम्मानित करैत गौरवान्वित भेलाह वस्तुतः मिथिलाक कीर्ति आओर प्रतिष्ठाक संबर्द्धनक हेतु सतत् स्मरण राखल जायत । परमादरणीय डाॅ. संदीप झाजी मिथिलाक कीर्ति-पताका कें भारतवर्षक शिक्षा-जगत मे विशिष्ट योगदान देनिहार प्रबुद्ध व्यक्तिक सूचि मे स्वयं कें समानांतर प्रस्तुत करैत मिथिलावासीक गौरव एवं प्रतिष्ठा कें नव ऊँचाई प्रदान कयलनि अछि । स्वभाव मे विनम्रता, संस्कार मे सूचिता, शब्द-भाव मे आत्मियता तथा कर्मक्षेत्र मे कठोर समर्पण कें धारण करैत महाराष्ट्रक भूमि पर "संदीप यूनिवर्सिटी" क स्थापनाक माध्यमें नव कीर्तिमान स्थापित करैत तथा मिथिलाक पावन भूमि मधुबनी जिलान्तर्गत "सुजौल" गाँव मे यूनिवर्सिटीक स्थापना कय माइट-पाइन पर रहनिहार युवा-वर्गक भव्य-भविष्य व चरित्र निर्माण हेतु मिथिलावासी सदैव हिनक योगदान कें नमन करैत रहत ।

आदरणीय श्री अशोक सिन्हा जी द्वारा आयोजित मीरा रोड स्थित "सुरभि ग्रुप ऑफ कंपनी एवं मित्र मंडल" केर तत्वावधान मे दिनांक 19.06.2016 कें उपस्थित प्रबुद्ध एवं वरिष्ठ मैथिल समाजसेवी मान्यवरलोकनिक पावन उपस्थिति मे "सुरमि पार्टी मैरेज हाॅल" उमंगित, प्रफूल्लित आ आह्लादित छल मिथिलाक सपूत कें स्वागत करबाक निमित्त । अपन संबोधन मे डां. संदीप झाजी "संदीप फाउंडेशन" केर स्थापनाक सांगोपांग यात्राक क्रमिक वक्तव्य दैत उपस्थित श्रोता-समाज कें भावुक करैत रहलाह आ प्रेक्षागृह मे उपस्थित सुधिवृन्द एहि रत्न कें त्याग, समर्पण आओर निष्ठाक प्रति मुग्धभाव सँ वक्तव्यक प्रत्येक शब्द के मुग्ध भऽ श्रवण करैत रहलाह । वस्तुतः मिथिलाक माइटक महान उर्वरताक परिणाम थिक जे एहि भूमि द्वारा एक सँ एक देदीप्यमान नक्षत्र सँ जगमग-जगमग केनिहार प्रभामंडल मिथिलावासी कें निरंतर प्राप्त होइत आबि रहल अछि ।सम्पूर्ण मैथिल समाज एहि रत्न कें हृदय सँ अभिनंदन करैत गौरवक अनुभव कऽ रहला अछि ।

आदरणीय श्री अशोक सिन्हाजी कें प्रवासी मैथिल समाज हृदय सँ अभिनंदन प्रेषित करैत गौरवक अनुभव करैत छथि जे सम्मान-समारोह आयोजित कयकें अपने यथेष्ठ यथलाभ अर्जित करैत मैथिल समाजक हृदय मे अपन विशिष्ट जगह बनेलौं ।

-------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------------

Date:26:06:2016

दिनांक 26.06.2016 यथा रविदिन विरार स्थित "पश्चिम ओल्ड विवि काॅलेजक सेमिनार सभागृह मे "बहुजन विकास आघारी केर प्रमुख व लोकनेता माननीय श्री हितेन्द्र ठाकुरजी द्वारा सम्मानित कयल गेलाह मिथिलारत्न डा. संदीप झाजी । एहि सम्मान-समारोह मे बहुत बेशी संख्या मे उपस्थित छलाह विभिन्न मैथिल संगठन केर प्रमुख तथा सदस्यलोकैन एवं वरिष्ठ समाजसेवी । उपस्थितिक गवाह बनल अछि प्रेषित छायाचित्र जकरा अवलोकित करैत स्वतः बुझल जा सकैत अछि जे इन्द्रदेवक कृपा रहला उपरान्तहुँ बहुतायत संख्या मे मान्यवर लोकनिक उपस्थिति सभागारक सम्मान-समारोहक सौन्दर्य कें पूर्णरूपेण बर्द्धित कयलक ।

 

आयोजक : मोडर्न एजुकेशन ट्रस्ट ।

संयोजक : श्री धनंजय झाजी ।

मैथिल समन्वय समिति कोटिशः धन्यवाद ज्ञापित करैत अछि आयोजक "मोडर्न एजुकेशन ट्रस्ट, विरार एवं संयोजन श्री धनंजय झाजी कें ।